
कहने छलौं न कि ,,जे मोन होयत आ जखनहिं मोन होयत ...धडाधड लिख देब ..लिय तो मैथिलि बजय लिखय , पढय वा सुनय लेल ..हम अहि बात के प्रतीक्षा करू कि ..पत्रा के हिसाब से देखियै कि आय ..मसान्त मसदघ्दा त नहिं अईछ ...मारू ..ई थोडे होय छै यौ ....आय हमरा एकटा खिस्सा ...गोनू झा के मोन आबि रहल अईछ ..। आब ई त हम नहिएं पूछब कि ..गोनू झा के ,, कि विद्यापति के ..जनैत छीयैन न ...ई त मैथिली के पर्याववाची सब छाईथ ।
एक बेर गाम के एकटा मसोम्मात काकी , के अपना बेटी के सासुर किछ समाद पठेबाक छ्लईन । कियो अबय जाय बला नहिं भेट रहल छलईन । थाकि हारि क ..बिदा भेली गोनू झा सं एकटा चिट्ठी लिखबबय लेल ।
हौ गोनू , एकटा चारि पांइत के चिट्ठी लिख दै ।
काकी अखैन नहिं , बाद में आयब ।
अगिला दिन फ़ेर काकी पहुंचली ।
वैह जवाब , नहिं काकी बाद में आयब ।
तेसर दिन , हौ गोनू तों त एना भरिया रहल छ जेना काकी तोरा सं , दुर्गा सप्तशती लिखा लेथुन ।
नहिं काकी , ई गप्प नहिं अईछ , हम लिख त दितौं मुदा हमरा पैर में फ़ोंका भ गेल अईछ ।
काकी सुनैत देरी ..भन्ना गेली । लगली डिरियाबय ....
पंचैती बसा देलाईथ , देखियौ ..यौ पंच लोकनि ...ई टटीबा गोनू एतेक दिन तक हमरा दौडाबईत रहल , आ बाद में कहैत अईछ जे पैर में फ़ोंका भ गेल अईछ , कहू त अहां सब ई उचित होय ।
ऐं हौ गोनू ..ई सत बात छियैक ??
हं पंच लोकैन ..ई त सत बाजि रहल छाईथ काकी ।
तहन त ई उचित गप्प नहिं छी अहां ऐना कियैक केलियै ?
गोनू झा बजला , " यौ त की गलत बजलौं । हमर अक्षर एहेन होईत अईछ कि हमर लिखल ..हमहीं टा पढि सकैत छी । तो चिट्ठी लिखला बाद काकी के बेटी गाम जाय क चिट्ठी पढय लेल जहन हमरा बजायल जईतै त हम केना जईतौं ..पैर में फ़ोंका अईछ ।
काकी सहित सब पंच सब मुस्का उठलैथ .......
वाह झा जी मजा आइब गेल | बढ़िया लिख्लाहूँ अहिना लिखित रहू | हमहू किछु मैथिलि में लिखवाक प्रयास करब | मन गद-गद भय गेल |
जवाब देंहटाएंमैथिली में समझने में थोडा संघर्ष है
जवाब देंहटाएं